इब्रानीक लेखक बतौलनि जे परमेश् वरक पुत्र स् वर्गदूत सभ सँ कतेक श्रेष्ठ छथि। स्वर्गदूत परमेश् वरक पुत्र नहि भऽ सकैत अछि। मुदा यीशु परमेश् वरक पुत्र छथि आ परमेश् वर हुनकर पिता छथि। (इब्रानी 1:5, भजन 2:7, 2 शमूएल 7:14)

सभ स्वर्गदूत परमेश् वरक पुत्र यीशुक आराधना करैत छथि। (इब्रानी 1:6, 1 पत्रुस 3:22)

परमेश् वरक पुत्र यीशु स् वर्गदूत सभ केँ सेवकक रूप मे प्रयोग करैत छथि। (इब्रानी 1:7, भजन 104:4)

परमेश् वरक पुत्र यीशु मसीहक काज पूरा कएने छथि आ सभ किछु पर शासन करैत छथि। (इब्रानी 1:8-9, भजन 45:6-7)

परमेश् वरक पुत्र यीशु सभ किछु बनौलनि। (इब्रानी 1:10, भजन 102:25)

परमेश् वरक पुत्र, यीशु अनन्त छथि। (इब्रानी 1:11-12, भजन 102:26-27)

परमेश् वरक पुत्र यीशु परमेश् वरक दहिना कात बैसल छथि आ राज करैत छथि। स्वर्गदूत परमेश् वरक संतानक मददि करबाक लेल काज करैत छथि। (इब्रानियों 1:13-14, भजन 110:1)